Tuesday, December 4, 2007

धर्मपुर क भूगोल

धर्मपुर पहुंचनाई एकदम सोझ छैक-दरभंगा सं झंझारपुर क ट्रेन पकड़ू आ ककरघट्टी, तारसराय, सकरी जं, मनीगाछी क बाद अबैत छैक लोहनारोड. स्टेशन क पश्चिम दिश गुमटी छैक, गुमटी सं उत्तर भय पक्की सड़क पर पांच सौ छियालीस डेग चलू- बिदेश्वर स्थान दिश. बामा कात एकटा कदम क गाछ भेटत. ओत्तहि सं खड़ंजा वला सड़क पर उतरि जाउ. दू सौ उनतीस डेग चलला पर दहिना कात कच्ची सड़क पर उतरि जाउ. सीधे चलैत आउ आ हमर पुबरिया घर क दलान पर पहुंच जायब। हमर घर सं ठीक पहिने अरुण चाचा क घर छैन्हि। ओ सेना में लेफ्टिनेंट कर्नल छथि। घर पर हुनक अनुज तरुण चाचा सपरिवार रहैत छथि। ओहि सं पहिने, जतय सं खड़जा अलग होइत छैक, छोटे काका आ देबू काका क घर छैन्हि। हमर घर क ठीक बगल में उत्तर दिश अनिल चाचा क घर छैन्हि। हुनकर घर क उत्तर दिश हमर सबहक पोखरि, जेकर पानि में नहा कय एक बेर कान में घाव भय गेल रहय।
हमर गाम क आरंभ होइत अछि बंठा-संठा कर घर सं। ओकर बाद भुट्टा आ आन खबास सबहक घर।
हमर घर क दक्षिण में सेहो बौका, सोमना आ आन खबास सबहक टोल अछि। पोखरि क उत्तर आ पूब में मोहन चौधरी, पंचा आ अन्य कर घर। गाम में बिजली छैक, टेलीफोन आ मोबाइल सेहो। गाम में रहनिहार खाली तरुण चाचा आ छोटे काका (हरि बाबू-रसनाथ झा) छथि। एहि बीच में हमर बड़की मां आ पितिऔत दीपू (लक्ष्मीनाथ झा) रहैत छथि- दछिनबरिया कोठा में।

No comments: